Thursday 29 June 2017

वर्तमान शिक्षण प्रणाली आ एकर दुष्परिणाम के जिम्मेदार के ?

अभी हालहि  मधुबनी मे मिथिला सेवी राघबेन्द्र रमण केर अनुज बारहवीं परीक्षा मे अनुतीर्ण भेलाक कारणे  आत्महत्या कय लेलन्हि! शोकाकुल परिवार के व्यथा अपने सब बुइझ सकैत छी ! मुदा अहाँ लेल त इ एकटा न्यूज़ मात्र भ सकैय कियाकि अहाँ सब सबटा दोष सरकार के दय अपन कर्तव्य के इति श्री बुइझ लैत छी !
ई घटना मात्र सरकार के शिक्षा व्यवस्था पर नै अपितु हमरा आहाँक समाजक मानसिकता पर सेहो बड्ड पैघ प्रश्न चिन्ह छैक! हम सभ अपना परिवारक  बच्चा के गुण-अवगुण, आ ओकर मष्तिष्क में अद्भुत क्षमता से अनभिग्य छि आ ओकरा अपना/समाजक हिसाब स चलाब चाहै छि बिना इ सोचने की अहाँ के बच्चा कोनो कम्पुटर नै जे अहाँ अपना पसंद के सोफ्टवेयर इंस्टाल क लेब ! देखियो अहांक बच्चा के मष्तिष्क के प्रोग्रामिंग गर्भावस्था के चारिम सप्ताह से शुरू भ गेल रहै, आ ऐना में अहाँ अपना हिसाब स प्रोग्रामिंग कर चाहब त रिजल्ट केर जिम्मेदार भी अहिं के बन परत !
कोनो भी बच्चा मंदबुद्धि नै होइत छैक, मुदा जौ कोनो विशेष क्षेत्र में ओकर रूचि नै लागल, या ओ ओही विशेष क्षेत्र में कमजोर छै त हम अहाँ आ हमर समाज ओही बच्चा के मंदबुद्धि कहिते कहिते ओकरा मंदबुद्धि बना क छोरय छि ! ऐना में कहू जे दोषी की  ओ बच्चा ? जेकर मष्तिष्क निर्माण में हमर अहांक कोनो योगदान नै , आ की हम अहाँ जे ओकरा मंदबुद्धि बनाव में अपन पूरा योगदान दैत छि ?
देखियौ परीक्षा मे भेटल प्राप्तांक सं  अहाँ बच्चा के प्रतिभा के आकलन नै करु, ओकर प्रतिभा के चिन्हु आ ओकर विकास करियो, तखने एकटा स्वस्थ समाजक निर्माण भ सकत ! अपन बच्चा पर बेसी सं बेसी नम्बर अनबाक बोझ नै थोपू, ओकरा प्रतिभा के  प्रोत्साहित करियो जाहि स ओ अपन पंसदीदा क्षेत्र में अपन करियर बना खुशहाल जीवन जी सकै !
सब बच्चा सब क्षेत्र में नीक प्रदर्शन नै क सकैय, मुदा कोनो नै कोनो क्षेत्र एहन जरुर छैक जाहि में अहांक बच्चा बहुत निक प्रदर्शन क सकैय, त आबो विलम्ब नै करू आ अपन अपन बच्चा के उज्ज्वल भविष्य हेतु ओकर प्रतिभा के पहचान करू आ ओकरा प्रोत्साहित करू ! समाज के दिखाबा लेल अपन बच्चा संग अन्याय नै करू ! बहुत रास एहन विकसित राष्ट्र छैक जाहि में बच्चा सबहक प्रतिभा के आकलन नर्सरी में भ जायत छैक,  आ ओकर प्रतिभा के आधार पर ही ओही बच्चा के करियर निर्धारण बचपने में भ जायत छैक,  मुदा एही क्षेत्र में भारत  अखन धैर बहुत पछुवायल अइछ, मुदा आब नै रहत कियाकी आब जापान स एकटा विशेष टेक्नोलॉजी जे बच्चा के जन्मजात क्षमता आ प्रतिभा के उजागर करैत सटीक करियर सुझाव दैइत  अइछ ओ अहांक शहर में सेहो आइब गेल !
विशेष जानकारी आ निःशुल्क  करियर सम्बंधित सलाह सुझाव लेल अहां अपन सवाल पठा सकैय छी, हमर इमेल अइछ  anandmohan.dmt@gmail.com , अहाँ व्हाटसैप पर सेहो अपन सवाल पठा सकै छी जाहि लेल हमर व्हाटसैप नम्बर रहल अइछ
+91-9871949259


No comments:

Post a Comment